№ MMXXVI

RACHNA · A LIVING ARCHIVE

Rachna by M.

Loading the archive

MM · XXVI

Canvas
Shantanu and Ganga

Karuna

करेह धार

Kareh Dhar

Buddhinath Mishra
1 min read 5 versesमैथिलीMaithiliनदी

5 verses · ~1 min

गाम अनचिन्हार भेल, लोक अनचिन्हार चिनहै अछि मुदा आइ धरि करेह-धार ।।

वैह तप्पत बाउल आर वैह कंचन पानि डेगे-डेगे लैए गोड़ दुनू छानि चिरै-चुनमुनी आइयॊ दैत अछि हकार ।

कुशल-छेम पूछै अछि बूढ़ बड़क गाछ पूछै अछि 'कोना रहै छी' मखान-माछ ठकमूरी लागल अछि, फूटै अछि नहि बकार ।

डोमबा गाछीक आम पूछै अछि हमर नाम पूछै अछि जाति-पाँजि अपने रोपल लताम तामसे न बाजै अछि हमरा सँ घरक चार ।

नगरक देखादेखी गाम क‌‍‌' रहल विकास पानि बिकायत एत्तहु, सुनि कें कोसी उदास बिला गेलै टोल आर भाथल गामक इनार ।

इति

Buddhinath Mishra

The Poet

बुद्धिनाथ मिश्र

Buddhinath Mishra

Shantanu and Ganga

Paired Painting

Shantanu and Ganga

Open the viewer →

If this held you

Four more, in the same key.

Chosen for their rasa and their register, not their popularity. Each one carries some part of what Kareh Dhar carries.