
ब्राह्मन देवता
Brahman Devata
Buddhinath Mishra
6 verses · ~15 lines · 1 min
№ MMXXVI
RACHNA · A LIVING ARCHIVE
Loading the archive
MM · XXVI

6 verses · ~1 min
बैरङ चिट्ठी जकाँ फिरैए गामक लोक । कस्तूरी मृग जकाँ मरैए गामक लोक ।
महानगर अपराध करय बुधियार बनल आ जरिमाना तकर भरैए गामक लोक ।
दऽ सर्वस्व जियाबैए न्यायालय कें कोना न कहबै भने लड़ैए गामक लोक ।
सभ इजोत भऽ गेल निपत्ता साँझहि में माटिक डिबिया जकाँ बरैए गामक लोक ।
घरक लाज नाङट भऽ विज्ञापन बनि गेल टूटल धनुखा तर नमरैए गामक लोक ।
मंदिर केर देवांश पुजारी लूटि रहल धूजा बनि-बनि कें फहरैए गामक लोक ।
इति

Paired Painting
Dussasana Humiliating Draupadi
Open the viewer →
If this held you
Chosen for their rasa and their register, not their popularity. Each one carries some part of what Gamak Lok carries.