№ MMXXVI

RACHNA · A LIVING ARCHIVE

Rachna by M.

Loading the archive

MM · XXVI

Canvas
Rama, Sita, and Lakshmana in the Jungle

Karuna

रामे जकाँ

Rame Jakan

Buddhinath Mishra
1 min read 4 versesमैथिलीMaithiliराम

4 verses · ~1 min

गाम अपनो लगय आन गामे जकाँ तैं फिरै छी बने-बोन रामे जकाँ।

ओ जे सरिसोक हरदी रड.ल खेत छल आर सपना जे भोरक ओ समवेत छल सभ बिला गेल दंडप्रणामे जकाँ तैं फिरै छी बने-बोन रामे जकाँ।

ओ जे मुस्की छलै घोघटक तऽर सँ आर लहठी बजै छल कोहबर सँ सभ हेरायल ओठंगर क धाने जकाँ। तैं फिरैछी बने-बोन रामे जकाँ।

ओ इनारक भरल डोल छिलकैत जल एक झलकी ले' बाटो पियासल छल सभ भथा गेल पोखरिक मोहाने जकाँ तैं फिरै छी बने-बोन रामे जकाँ।

इति

Buddhinath Mishra

The Poet

बुद्धिनाथ मिश्र

Buddhinath Mishra

Rama, Sita, and Lakshmana in the Jungle

Paired Painting

Rama, Sita, and Lakshmana in the Jungle

Open the viewer →

If this held you

Four more, in the same key.

Chosen for their rasa and their register, not their popularity. Each one carries some part of what Rame Jakan carries.