
ब्राह्मन देवता
Brahman Devata
Buddhinath Mishra
6 verses · ~15 lines · 1 min
№ MMXXVI
RACHNA · A LIVING ARCHIVE
Loading the archive
MM · XXVI

7 verses · ~1 min
सपटा सँ भेटल वरदान विपटा केर स्राप भ' गेलै की करतै यज्ञक संकल्प उनटा जँ जाप भ' गेलै ।
पाबनि-पाबनि बाँटल लोक बन्हकी लागल मुरेठ भेल आखर- आखर कीलित देश कठरा छूटल सिलेठ भेल
सदिखन जागल आँखिक लेल सपना संताप भ' गेलै ।
तोरि गेलै खेतक सभ आरि गाम- गाम आबिकें दहार कत' गेलै 'बहिंगा सन मोछ' कत' गेलै 'बज्जर केवार'
बौनवीर सभ लगैछ आइ राजनीति नाप भ' गेलै ।
टोल-टोल अछि मसान घाट जरइछ बारहमासा गीत नगरक फुटपाथ पर बिकाइ आँचर केर खूँट बन्हल प्रीत
हुनका ले' सभटा आदर्श रमनामी छाप भ' गेलै ।
इति

Paired Painting
Jauhar
Open the viewer →
If this held you
Chosen for their rasa and their register, not their popularity. Each one carries some part of what Vipata Ka Srap carries.