
4 verses · ~1 min
रौदी अछि, दाही अछि हमरा ले' धैन सन। गामक तबाही अछि हमरा ले' धैन सन।
हम महान छी,चटइत तरबा इतिहास अछि विपदे सँ गढल हमर व्यक्तिगत विकास अछि पुस्त-पुस्त सँ सूर्यक रथ जोतल लोक पर पडइत अछाँही अछि हमरा ले' धैन सन।
हम देशक कर्णधार हमरहि सँ देश अछि भासन मे हम, रन मे राजा सलहेस अछि सरनागत-पालक हम तैं चारू सीमा पर ई आवाजाही अछि हमरा लॆ' धैन सन।
अहाँ धरापुत्र, धरा पर अहींक घाम खसय शीततापहीन हमर पलिवारक राज रहय न्याय वैह जे हमरा प्रिय, हमरे हित मे हो सत्यक गवाही अछि हमरा ले' धैन सन।
इति

Paired Painting
Rama is Placated by the Fearful Sea God
In the climactic buildup to the Yuddhakanda of the Ramayana, Lord Rama reaches the shores of the vast ocean, seeking a passage for his army to reach Lanka. When the ocean god remains silent to his entreaties, Rama, overcome by divine indignation, takes up his bow to dry up the very waters that defy his path. Seeing the impending destruction of the aquatic world, Varuna, the Lord of the Oceans, emerges in terror and humility to seek refuge and forgiveness at the feet of the righteous prince. This painting captures that fleeting, breathless moment of cosmic tension, where the wrath of the divine meets the humbling power of submission.
Open the viewer →


