Canvas
The Wedding of Rama

HasyaAdvanced

रेड रिबन एक्सप्रेस

Red Ribbon Express

Buddhinath Mishra
1 min read 9 versesSatireCulture

9 verses · ~1 min

रेड रिबन एक्सप्रेस घूमि रहल अछि चारू दिस अश्वमेधक घोड़ा जकाँ।

घराड़ी-बरारीक देवालकें ‘आखी’ लत्ती जकाँ छेकने लाल तिकोनकें धकिया रहल छै रेड रिबन।

साम्प्रदायिक रामायणक अन्त्येष्टि क’ क’ स्कूलक मास्टरजी चटिया सभकें पढ़ा रहल छथिन-कामायन।

कोना सात फेराक लपेटसँ उन्मुक्त भ’ यौन-सुख प्राप्त करी- नवका फुक्कासँ, ज्ञान द’ रहल छथिन मास्टरजी बुझा रहल छथिन-डासग्रामसँ, थ्योरीसँ नहि बुझला पर प्रैक्टिससँ।

मैकालेक बनाओल स्कूलक चारू कात कटि रहल छै मेहदीक वंश बढ़ि रहल छै नागफेनीक बेढ़।

विषवृक्षक छाँहमे योगक पटिया उनटा क’ यौन-शिक्षा देल जाइछ। एकटा सांस्कृतिक धूर्ततासँ कसल जा रहल अछि ब्रह्मचर्यक

समस्त ज्ञानतन्तु। फगुआ-देबारीसँ बेसी पुनीत पर्व अछि एड्स दिवस।

नवताक आवेशी डिप्टी साहेबक वारण्टी आदेशसँ केराबक अँकुरी-सन नान्ह-नान्ह स्कूली छात्र-छात्रा कण्डोमक प्रचार करैत अछि।

मुँह बबैत बाबा-बाबी सुनै छथि नव भिक्षु-भिक्षुणीक उपदेश। एकटा कृत्रिम अदंकसँ ।

इति

Buddhinath Mishra

The Poet

बुद्धिनाथ मिश्र

Buddhinath Mishra

The Wedding of Rama

Paired Painting

The Wedding of Rama

In this magnificent composition, M. V. Dhurandhar captures the jubilant spirit of the divine wedding of Lord Rama and Sita. The scene breathes with the life of a grand royal procession, where the celestial couple is seen mounted upon a gilded chariot, surrounded by the adoring citizens of Ayodhya. Dhurandhar uses his mastery of academic realism to bridge the gap between the mythic past and the viewer, bathing the entire event in a warm, golden light that suggests both morning sunshine and divine grace. The painting serves as a bridge between high art and the cultural pulse of early twentieth century India, immortalizing a sacred moment that remains central to the collective consciousness and devotion of countless millions.

Open the viewer →