
काँटक बन मे
Kantak Ban Me
Buddhinath Mishra
6 verses · ~9 lines · 1 min
№ MMXXVI
RACHNA · A LIVING ARCHIVE
Loading the archive
MM · XXVI

5 verses · ~1 min
राति-दिन थर-थर कँपइए पानि हम गुमसुम तकै छी । आइना केर वैह पुरना बानि हम गुमसुम तकै छी ।
भीत पर उखरल अहाँ केर नाम कहियो इजोरिया छल आइ सभ आखर रहल अछि कानि हम गुमसुम तकै छी ।
हम प्रतीक्षा मे छलहुँ क्यो रंग घोरत कासवन मे इन्द्रधनु टूटत कत' के जानि हम गुमसुम तकै छी ।
दीप तर पसरल अन्हारक साँप पलथी मारने अछि आँखि मे फेर डबडबायल ग्लानि हम गुमसुम तकै छी ।
यात्रा तँ यात्रा थिक ल'ग की थिक, दूर की थिक किंतु सूतब एना तौनी तानि हम गुमसुम तकै छी ।
इति

Paired Painting
Radha in the Moonlight
Open the viewer →
If this held you
Chosen for their rasa and their register, not their popularity. Each one carries some part of what Gumsum Takai Chhi carries.